बासोपट्टी में 20-20 टूर्नामेंट

मां काली क्रिकेट क्लब बासोपट्टी के बासोपट्टी द्वारा अय बेर गाम बासोपट्टी में 20-20 टूर्नामेंट के आयोजन केल गेल, जाहि में कुल 8 टीम हिस्सा लेकर, जय के फाइनल मैच 13/03/2020 क गाम बासोपट्टी के ब्राम्हन टोल के पश्चिम ब्रम्ह गार्डन में खेलल गेल, बेनीपट्टी आर बासोपट्टी के बीच फाइनल मुकाबला खेलल गेल आर टीम बासोपट्टी अय खिताब के अपन नाम केलक, इ क्रिकेट टूर्नामेंट पिछला दू साल स खेलल जा रहल अय, अय के आयोजन ग्राम यूवा के द्वारा के जाईत अइछ, अय बेर अय टूर्नामेंट के आयोजक बासोपट्टी ग्राम के निवासी फिल्म कलाकार धीरेन्द्र ठाकुर छइथ, जल्दिए इनकर फीचर फिल्म वनरक्षक रीलीज होबय जा रहल अइछ, इ फ़िल्म प्रर्यावरण संनरक्षण आर ग्लोबल वार्मिंग के पुरजोर तरीका स उठाबइत अइछ, अय के संग-संग धीरेन्द्र ठाकुर समाजिक कार्य में सेहो सक्रिय छइथ, तुरत में धीरेन्द्र जी अपन माता जी के नाम स एक्का अस्पताल के शुभारंभ केलइन हैं, फाइनल मुकाबले में प्रमुख अतिथि एम0 एल0 सी0 मधुबनी सुमन महासेठ छलइथ, माननीय MLC सुमन जी कहलइथ कि इ बहुततेक सकारात्मक पहल अय, गाम के युवकों के प्रतिभा के निखार संग मनोबल बढइत अइछ, संगेसंग अन्य गणमान्य लोग सेहो अपन अपन उपस्थिति दर्ज करेला, खास लोग में खजोली विधानसभा क्षेत्र के पूर्व विधायक श्री अरूण शंकर प्रसाद, मधुबनी जिला के पूर्व जिलाध्यक्ष श्री भोगेंन्द ठाकुर, बासोपट्टी प्रखण्ड के थाना प्रभारी, आर पेक्स अध्यक्ष श्री संजय महतो के नाम उल्लेखनीय अइछ, अय टूर्नामेंट में मैन आफ द मैच बासोपट्टी टीम के दीपक आर मैन ऑफ द टूर्नामेंट राहुल चौधरी भेलाह, मुख्य अतिथि के तोड़ पर सब व्यक्ती के उपस्थिति स युवाओं के मनोबल के बहुत बढ़ावा भेटल, अगीला वर्ष सेहो अय क्रिकेट प्रतियोगिता के आयोजन केल जेत, आर उम्मीद अइछ जे आर ज्यादा बेहतर आयोजन केल जेत, आयोजन करता रोहित जा, पथिक मिश्र (दीपक), गोरव झा, लखन झा, अजय झा, राजु झा, राहुल झा, आनन्द ठाकुर, गोलू झा, सोनु झा, अमीत झा, केलास झा, श्रवण साह, शंकर राय, समस्त युवाह छलाह,,

Visits: 298

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *