मधुबनी जिला के बासोपट्टी गामक पुत्र उत्तर प्रदेश के राजधानी लखनऊ में बनेलेथ मल्टी स्पेशलिटी हॉस्पिटल

दिनांक 6 मार्च के मल्टी स्पेशलिटी हॉस्पिटल “शिला देवी हॉस्पिटल ” के उदघाटन उत्तर प्रदेश के राजधानी लखनऊ में भेल। अय अस्पताल के उदघाटन उपमुख्यमंत्री माननीय दिनेश शर्मा जी के करकमल स कैल गैल, बीजेपी उत्तर प्रदेश के प्रवक्ता राकेश त्रिपाठी सेहो उपस्थित छलाह। अय अस्पताल के निर्माण अभीनेता “धीरेन्द्र ठाकुर” जी अपन मातुक नाम पर कैलयथाह। धीरेन्द्र ठाकुर बिहार मधुबनी जिलाक अन्तर्गत बासोपट्टी ग्रामक निवासी छइथ। धीरेन्द्र ठाकुर आवय वला फिचर फिल्म “वन रक्षक” में मुख्य भूमिका में नजर ओता। शिला देवी अस्पताल में फिलहाल 50 बैड, फार्मेसी, लैबोरेट्री, ICU, संग संगओपीडी के व्यवस्था अय। अय मल्टी स्पेशलिटी हॉस्पिटल में 40 डाक्टर के व्यवस्था सेहो अय। अस्पतालक उद्घाटन समारोह में बहुत रास मन्त्री के संग संग गणमान्य अतिथि में बालिवुड अभीनेता राजेश जैस आर निर्माता पवन शर्मा उपस्थित रहइथ। अय समारोह में कवि सम्मेलन के सेहो आयोजन कैल गैल छल, मां तुझे सलाम, तीन सायर एक साम,, जाहि में डॉ. राहत इन्दौरी, डॉ. नवाज़ देवबंदी आर आलोक श्रीवास्तव लोकक मनोरंजन कैलइथ। राहत साहब अपन अंदाज में बहुत रास सायरी पढलइथ, संगहि अय आयोजन के खूब प्रशंसा कैलइथ, ओ कहलइथ जे धीरेन्द्र ठाकुर जेहन पूत सब मां बाप के भेटय, हिनकर सोच बढ़ पवित्र छइन, वो हुनक माता के नाम स ई अस्पताल बनेलयथाह, जे लोकक सेवा में तत्पर रहत। ई हॉस्पिटल 60 फूटा रोड, मुलायाम तिराहा, जानकीपुरम विस्तार में अछि। आय जहन क्रोना वायरस हमर देश में पसरल अय लोक चिंतित छय ताहि समय में इ अस्पताल अब अर्थे लोक के शेवा के रहल अय। अय अस्पतालक में भेटय वला हर दवाई पर 15% के छूट अय, अस्पताल के अपन पैथोलॉजी छय जतय आधुनिक एवं आटोमेटिक मसीन के व्यवस्था अय। अस्पताल में प्रत्येक जांच पर 20 स 25% के छूट भेपत, संगहि मैडिकल कन्सल्टेंसी 15% के छूट होयत। अभिनेता धीरेन्द्र ठाकुर के सलाह जे घर में रही स्वस्थ रही, हुनक कथन जे भारत एक विकास शील देश अय, देश के प्रत्येक नागरिक हर मुसीबत के डइट के सामना करइ विजय प्राप्त करय छइथ, हमर अनुरोध जे कहां सपरिवार घर में रही आर माननीय प्रधानमंत्री जी के द्वारा कैल गैल 21 दिनकर लाक्डाउन में राष्ट्र के सहयोग करि, हम जलदिये अय विकट परिस्थिति स उबईर जैब याह कामना करई छी। शिला देवी अस्पताल जल्दिये मधुबनी में सेहो खुलत , निर्माण कार्य प्रारंभ छल।

Visits: 216

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *